Nojoto: Largest Storytelling Platform

प्रकृति के प्रकोप देखियौ समस्त जीवन बेहाल अछि गर्म

प्रकृति के प्रकोप देखियौ समस्त जीवन बेहाल अछि
गर्मी त भरि जगत में छैक बिहारे किया बदहाल अछि
ई बात आब देखु सभहक मोन में अखरि रहल अछि
हम मरितौं त मरितौं हमर बच्चा कियैक मरि रहल अछि

गुलकोंच पनि स इलाज भ रहल ई केहन चिकित्सा
प्रधान-सेवक व्यस्त छैथ करबा में फ़िल्म-समीक्षा
हा! बढ़ल जा रहल अछि यौ संख्या दिनक दिन
सत्ता में महीस सुतल अछि हम कतेक बजाबु बीन
एहन व्यवस्था देखि आब खून हमर जरि रहल अछि

सभ नाचि रहल छैथ एत्त अप्पन अप्पन ताल
सत्ता मद में डुमल अछि आ वैद्य करै हड़ताल
जेकरा अनलौं पुचकारैत हम सटने अपना छाती में
कहियौ कोना क देबै ओकरा छह हाथ भीतर माटी में
अहि हृदय विदारक क्षण में आब
हिम्मत हमर बिखरि रहल अछि
हम मरितौं त मरितौं सरकार
हमर बच्चा कियैक मरि रहल अछि