Nojoto: Largest Storytelling Platform

साओनक मास मे जेना, गर्दा उड़िया रहल अछि। कादो-थालक

साओनक मास मे जेना,
गर्दा उड़िया रहल अछि।
कादो-थालक थाह कतौ नहि,
हरबाह बताह बनल अछि।
तहिना लागि रहल अछि हमरा,
हमर प्रेमक रोपल धान सुखा रहल अछि।

मटिया तेलक दाम एखन जेना,
माथा सनका रहल अछि।
तहिना लागि रहल अछि हमरा,
हमर प्रेमक बारल डिबिया मिझा रहल अछि।

कतेक करु निहोरा बेर-बेर,
आब हमर मऽन उबिया रहल अछि।
छोड़ू यै सजनी गप अन्ठाबू,
आब हमर मऽन उबिया रहल अछि।

©Gaurav jha Nitin मैथिली Break up Status!🥺

#udas
साओनक मास मे जेना,
गर्दा उड़िया रहल अछि।
कादो-थालक थाह कतौ नहि,
हरबाह बताह बनल अछि।
तहिना लागि रहल अछि हमरा,
हमर प्रेमक रोपल धान सुखा रहल अछि।

मटिया तेलक दाम एखन जेना,
माथा सनका रहल अछि।
तहिना लागि रहल अछि हमरा,
हमर प्रेमक बारल डिबिया मिझा रहल अछि।

कतेक करु निहोरा बेर-बेर,
आब हमर मऽन उबिया रहल अछि।
छोड़ू यै सजनी गप अन्ठाबू,
आब हमर मऽन उबिया रहल अछि।

©Gaurav jha Nitin मैथिली Break up Status!🥺

#udas