Nojoto: Largest Storytelling Platform

#विभीषिका_आयल_डुबल_घर_द्वार आकाश तकैत मोन हमर सदि

#विभीषिका_आयल_डुबल_घर_द्वार

आकाश तकैत मोन हमर
सदिखन लटकल प्राण
कखन विधाता नोर बहेता 
डुबल घर दलान 

पहिले हवा फेर बुन्दी
तखन खसय पाथर अपार 
फेर भरल पैन सगरो
बर्षा भेल अछार 

बाट टुटलै ठाम बहलै 
गाछ वृक्ष सब दहलै
सौंसे बस एकहि आभास
पैन क' नगरी पैनक वास 

भुखल पेट सब कोय कनैये 
नेना भुटका सेहो कलपैये
विधना नजरि आब त फेरू
मोन हमर सौसे भटकैये 

कहु आब एहन भयावह
विपदा मे लोक की करतै
सबहक संग लय क चलतै 
आ कि असगरि कात मे कनतै ।।

#विधना_आब_त_कृपा_करू

#राघव_रमण
#विभीषिका_आयल_डुबल_घर_द्वार

आकाश तकैत मोन हमर
सदिखन लटकल प्राण
कखन विधाता नोर बहेता 
डुबल घर दलान 

पहिले हवा फेर बुन्दी
तखन खसय पाथर अपार 
फेर भरल पैन सगरो
बर्षा भेल अछार 

बाट टुटलै ठाम बहलै 
गाछ वृक्ष सब दहलै
सौंसे बस एकहि आभास
पैन क' नगरी पैनक वास 

भुखल पेट सब कोय कनैये 
नेना भुटका सेहो कलपैये
विधना नजरि आब त फेरू
मोन हमर सौसे भटकैये 

कहु आब एहन भयावह
विपदा मे लोक की करतै
सबहक संग लय क चलतै 
आ कि असगरि कात मे कनतै ।।

#विधना_आब_त_कृपा_करू

#राघव_रमण