Nojoto: Largest Storytelling Platform

नजरि केर एकटा कोना मे नुका लिय सुनु न हमरा अपन का

नजरि केर एकटा कोना मे नुका लिय 
सुनु न हमरा अपन काजर बना लिय
ललका सेनुर लेल खाली परल अछि मांग
हमरा अपन मांग केर सेनुर बना लिय ।।
डाँर पर छिलकैत अछि घैला केर भार
हमरा अपन घैला केर पेन्दी बना लिय ।।
पैर मे रूनझुन करैत अछि पायल के थाप
हमरा अपन पायल केर घुंघरू बना लिय ।।
हाथ मे सदिखन खन खन करय कंगना
हमरा अपन कंगना लेल कलाई बना लिय ।।
आब की कहु सुनु यै प्राणप्रिये 
हमरा आब अपन हिया मे बसा लिय ।।
नजरि केर एकटा कोना मे नुका लिय 
सुनु न हमरा अपन काजर बना लिय
ललका सेनुर लेल खाली परल अछि मांग
हमरा अपन मांग केर सेनुर बना लिय ।।
डाँर पर छिलकैत अछि घैला केर भार
हमरा अपन घैला केर पेन्दी बना लिय ।।
पैर मे रूनझुन करैत अछि पायल के थाप
हमरा अपन पायल केर घुंघरू बना लिय ।।
हाथ मे सदिखन खन खन करय कंगना
हमरा अपन कंगना लेल कलाई बना लिय ।।
आब की कहु सुनु यै प्राणप्रिये 
हमरा आब अपन हिया मे बसा लिय ।।