Nojoto: Largest Storytelling Platform

बेइंतहा मोहब्बत हम लिखब गायब सुनायब कविता आऊ देखु

बेइंतहा मोहब्बत हम लिखब गायब सुनायब कविता
आऊ देखु केहन छथ हमर वनिता।।

मुस्की हुनकर एहन जेना वर्णक तरंग
नयन केर भंगिमा जेना शब्द संगम
हुनक आभा पर छलकय गजल सरिता
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।

केश फुजल एहन जेना वर्ण विच्छेद
बांहि पसरल जेना समास'क प्रच्छेद 
हुनक चालि पर ससरय गीतक ध्वनिता
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।

स्नेहक मूर्ति जेना उपसर्गक प्रसार
प्रीत लगवथि एना जेना प्रत्यय विचार
हुनक बोली सं निकलय पान मीठ पत्ता
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।

देखल एक नजरि जेना पूर्णिमा केर चान
सौंसे तकितहुं हमर मोन अटकल अकान
राघव मोनक अपन गप कोना कहता 
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।
बेइंतहा मोहब्बत हम लिखब गायब सुनायब कविता
आऊ देखु केहन छथ हमर वनिता।।

मुस्की हुनकर एहन जेना वर्णक तरंग
नयन केर भंगिमा जेना शब्द संगम
हुनक आभा पर छलकय गजल सरिता
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।

केश फुजल एहन जेना वर्ण विच्छेद
बांहि पसरल जेना समास'क प्रच्छेद 
हुनक चालि पर ससरय गीतक ध्वनिता
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।

स्नेहक मूर्ति जेना उपसर्गक प्रसार
प्रीत लगवथि एना जेना प्रत्यय विचार
हुनक बोली सं निकलय पान मीठ पत्ता
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।

देखल एक नजरि जेना पूर्णिमा केर चान
सौंसे तकितहुं हमर मोन अटकल अकान
राघव मोनक अपन गप कोना कहता 
हम लिखब गायब सुनायब कविता।।