Nojoto: Largest Storytelling Platform

#एहसास_असगरूआ_मोनक कि छूटल सबहक संग भय गेलौ हम अ

#एहसास_असगरूआ_मोनक

कि छूटल सबहक संग 
भय गेलौ हम अपंग 
बुझाईत अछि जेना आब
डुबल छी हम बीच मझधार
करैये सब कियो हहाकार 
छोरि देलकै डुबय लेल चहुदिश 
मुदा तकै नै कियो केकरो सम्हार
भेलै खुब पैन जोरगर
सौसे डुबलै निवास 
भीजल तीतल मोन सबहक 
तैयो नै बदललै लिबास 
कहु कि आब करवै 
केकर नेहोरा धरवै
सब छै मगन अपना मे
हम बैसल अंगना मे
तकै छी टुकुर टुकुर 
लोक क' मुखपोथी दिस
मुदा कनैये मोन 
लोकक  व्यवहार देखि क'
पता नै की भ गेलै 
कि प्रेम पैन दहेलै 
चल हौ मोन हमर 
नै कानय कियो नै तोहर
बस आब असगरि घु'म
बस कदमताल केर चु'म।

#टूगर_सकल_संसार_बनल_मीत_छुटल_प्रीत_घटल

#ई_कविता_थिक_मुदा_सत्यता_छै_अहि_मे_

राघव र

©राघव रमण
  #KhulaAasman