Nojoto: Largest Storytelling Platform

ई बीमारी बढ़ल जाइत अछि सुरसा केर धार जकाँ, बनिक काल

ई बीमारी बढ़ल जाइत अछि सुरसा केर धार जकाँ,
बनिक काल मुँह बौने अछि बड़का घरियार जकाँ,
ढीठ चोर बनि निर्लज्ज, लाशो सबके लुटि रहल छथि,
हकन्न कनैत जनता तड़ैप रहल अछि बिन पाइनक माछ जकाँ।

नेता लोकनि योजनाक महल बनबैत छथि मीनार जकाँ,
जमीन पर आबि जौं देखू त बूझि पड़ैत अछि इनार जकाँ,
झाँपल छनि चानि अपन, हुनका लोकनि केँ कि चिंता,
हुनका त सब ओनाहि भेटैत छनि सासुरक भार जकाँ। #Corona #yqmaithili #maithili #leaders #corruption #india #yqdidi