Nojoto: Largest Storytelling Platform

New मोबाइलला फोने Quotes, Status, Photo, Video

Find the Latest Status about मोबाइलला फोने from top creators only on Nojoto App. Also find trending photos & videos about, मोबाइलला फोने.

Stories related to मोबाइलला फोने

    LatestPopularVideo

Rupam Jha

गामक वर्णन की करब गाम त होइते अछि अमूल्य(ओना प्रयास केने छी अयि स पहुलका पोस्ट म गांव क वर्णित करै क)मुदा आब बहुत तेजी सँ बहुत किछु बदैल रहल #yqdidi #मैथिली #अनवरत #bestyqhindiquotes #नवरूप #yqmaithili #jhapost #मैथिलीकविता

read more
कतय हेरायल ढेंगा-पानी आ कतय चोरा-नुकी क खेल,
कतय गेल ओ धप्पा-धुप्पी आ कतय हेरायल पोसम्पा क रेल,
कबड्डीयो नै खेलै आब बच्चा,इ कोन कलजुग भेल,
फोने म खेल ताकी लेलक ,छूटल नेना-भुटका क सँझुका मेल,
कतय चली गेल माटिक चूल्हा परहक भोजन-भात,
ओय भोज्य क वर्णन की करब,अहा!गजबे होय छल स्वाद,
चिनबारक चूल्हा-चेकी बिला गेल,भेल गैस-सिलिंडरक साथ,
विलुप्त भ गेल सबटा संस्कृति,उफ! कतेक नमहर छैक आधुनिकताक हाथ,
डहि गेल सबटा खर क घर,बदैल गेल देहातक हालात,
बड़का-बड़का इमारत बनि गेल,बढ़ि गेल सबहक आब बिसात,
नै जैत अइछ आब कियो कलम-गाछी,नै रहल ओ पहुलका बात,
बूढ़-पुराण सँ लय बच्चा-बुदरुक सब अपने मँ मग्न रहै छैथ,केने रहै छैथ सब क कात,
कोनाक नेनाक हड्डी मजगूत हेतै,जँ नै वो अपन मैट पर लोड़ीयैत,
नून-रोटी क जगह पिज़्ज़ा-बर्गर ल लेलकै,स्वास्थ्य पर होयत अछि वज्रनिपात,
कंसारक चूड़ा-मुरही निपत्ता भेल,फास्ट-फूड लगौने अछि सब पर घात,
खेती-पातीं चौपट भ गेल,बदैल गेल सबटा हालात, 
शहर बनेता गांव क सब मिल,नै जानी की छैन ग्रामीणक जज्बात,
शहर बनबैक सपना त नहिये पुरतैन,धोता गाम सँ सेहो हाथ!! गामक वर्णन की करब गाम त होइते अछि अमूल्य(ओना प्रयास केने छी अयि स पहुलका पोस्ट म गांव क वर्णित करै क)मुदा आब बहुत तेजी सँ बहुत किछु बदैल रहल
loader
Home
Explore
Events
Notification
Profile