Nojoto: Largest Storytelling Platform

Best अछि Shayari, Status, Quotes, Stories

Find the Best अछि Shayari, Status, Quotes from top creators only on Nojoto App. Also find trending photos & videos aboutदोस्ती की अछि शायरी, अछि सोच शायरी हिंदी, शायरी अछि सी, अछि गम भरी शायरी, अछि शायरी,

  • 8 Followers
  • 26 Stories

राघव रमण

read more
नजरि केर एकटा कोना मे नुका लिय 
सुनु न हमरा अपन काजर बना लिय
ललका सेनुर लेल खाली परल अछि मांग
हमरा अपन मांग केर सेनुर बना लिय ।।
डाँर पर छिलकैत अछि घैला केर भार
हमरा अपन घैला केर पेन्दी बना लिय ।।
पैर मे रूनझुन करैत अछि पायल के थाप
हमरा अपन पायल केर घुंघरू बना लिय ।।
हाथ मे सदिखन खन खन करय कंगना
हमरा अपन कंगना लेल कलाई बना लिय ।।
आब की कहु सुनु यै प्राणप्रिये 
हमरा आब अपन हिया मे बसा लिय ।।

राघव रमण

read more
#OpenPoetry सब रंग मे रंगायल मोनक प्रीत
बिसरल भटकायल जग केर सब रीत
अहाँ बिना जिनगी विरान भ गेलै
चली आऊ सजनी राति जवान भ गेलै ।।

ठोर परहक लाली चैन चुरावय 
आँखि के काजर हिया धडकावय
पातर कमर हमर मोन ललचावय
हाथक मेंहदी हमर आगि धधकावय
देखु देखु सेजों आब  सयान भ गेलै
चली आऊ सजनी राति जवान भ गेलै ।।

छै पसरल सौंसे स्नेहक ई झोल 
किछ अलगे आवाज मचेने अछि घोल
हवा सन सन अपन देखावैत अछि रूप
घाम पसेना सँ महकैत अछि अपन रूप
देखु देखु आब मिलन केर अवसान भय गेलै 
चली आऊ सजनी राति जवान भ गेलै ।।

भेलै मिलन के ई राति दीप सगरो जरल
वस्त्र  आभुषण आ चुडी अछि सौंसे बिखरल
ठोरक लाली मिटायल अछि केश बिखरल 
सौंसे चेहरा पर काजर केर रेस छितरल
देखु चादर बिछावन के हैवान भ गेलै
चली आऊ सजनी राति जवान भ गेलै ।।

राघव रमण

read more
पढ़ि पढ़ि कविता 
किछ गुनि लैत छी 
बेसी नहि कखनो 
किछ सुनि लैत छी 
साहित्य अछि खुन मे 
ई सब बुझैत अछि 
लेखन लेल बस कखनो 
शब्द चुनि लैत छी

Follow us on social media:

For Best Experience, Download Nojoto

Home
Explore
Events
Notification
Profile